कैलाली जिला
कैलाली जिला
Kailali District | |
---|---|
देश | नेपाल |
प्रदेश | सुदूरपश्चिमाञ्चल |
अञ्चल | सेती |
भौगोलिक अवस्थिति | तराई |
गाउँपालिका सङ्ख्या | ३१ |
नगरपालिका सङ्ख्या | ६ |
उपमहानगरपालिका सङ्ख्या | १ |
सदरमुकाम | धनगढी |
क्षेत्रफल | |
• कुल | ३२३५ किमी२ (१२४९ वर्गमाइल) |
उन्नतांश (अधिकतम) | १९५० मिटर (६४०० फिट) |
उच्चतम उचाइ | १९५० मिटर (६४०० फिट) |
न्यूनतम उचाइ | १०९ मिटर (३५८ फिट) |
जनसङ्ख्या (२०६८[१]) | |
• कुल | ७७५७०९ |
• घनत्व | २४०/वर्ग किमी (६२०/वर्ग माइल) |
समय क्षेत्र | युटिसी+५:४५ (नेपालक प्रमाणिक समय) |
क्षेत्रीय सङ्केत | ०९१ |
मुख्य भाषासभ | नेपाली |
प्रमुख जातिसभ | बाहुन, क्षेत्री आदि |
वेबसाइट | www.ddckailali.gov.np |
कैलाली नेपालक सुदूरपश्चिमाञ्चल विकास क्षेत्रक सेती अञ्चलमे अवस्थित समथर भूभाग तथा पहाड मिश्रित जिला छी । ई जिलाक क्षेत्रफल ३,२३५ वर्ग किलोमिटर आ जनसङ्ख्या (२०६८) ७,७५,७०९ रहल अछि । कैलाली जिलाक सदरमुकाम धनगढी छी। ई जिलामे छ टा नगरपालिका अछि :लम्की चुहा नगरपालिका, टीकापुर नगरपालिका, अत्तरिया नगरपालिका, घोडाघोडी नगरपालिका, भजनी-त्रिशक्ती नगरपालिका आ धनगढी उपमहानगरपालिका । टीकापुरमे अवस्थित टीकापुर वृहत उद्यान नेपालक सबसँ पैग मानव निर्मित उद्यान छी तहिने कैलाली जिलामे रहल घोडाघोडी तालके विश्व सम्पदा सूचीक संरक्षित सिमसार क्षेत्रमे राखल गेल अछि ।
जिलाक नामाकरण
[सम्पादन करी]कैलाली जिलाक नामाकरण सम्बन्धमे बहुतेक रास मतसभ विद्यमान अछि। ओहीमे सँ प्रमुख मतसभ एहिप्रकार अछि। परापूर्व कालमे कैलाली जिलामे कालाबञ्जारक राज्य छल आ ओसभ सदरमुकाम आजुक कैलाली नाम कएल गाउँमे छल । ओहि ठामके पहिने कालापानी कहल जाइत छल । पहिनेके समयमे जे कियो अपराध करैत छल ओ अपराधीसभके याह ठाममे पठाए सजाय देल जाइत छल । उपरमे कालापानी नामसँ बहैवला नदी नीचा आबि खुटिया खोलाक नामसँ प्रसिद्ध अछि । सम्भवत याह कारणसँ सेहो शब्दक अपभ्रंस होइत होइत एकर नाम कैलाली रहल भऽ सकैक अनुमान कएल जाइत अछि ।
भौगोलिक अवस्था
[सम्पादन करी]- विकासक्षेत्र: सुदूर पश्चिमाञ्चल
- अञ्चल: सेती
- अक्षांस: २८.२२" उत्तर सँ २९.५" उत्तरधरि
- देशान्तर: ८०.३०" पूर्व सँ ८१.१८" पूर्वधरि
- सिमाना: पूर्व-कर्णाली नदी, बर्दिया आ सुर्खेत, पश्चिम-कञ्चनपुर आ डडेलधुरा, उत्तर-डोटीडडेलधुरा आ सुर्खेत, दक्षिण- मोहना नदी आ भारतक उत्तर प्रदेश राज्य
- क्षेत्रफल: ३,२३५ वर्ग किलोमिटर (पहाड ४०.३% आ तराई ५९.७%)
- सबसँ उँच स्थान: १,९५० मिटर
- सबसँ गहीर स्थान: १०९ मिटर
- धरातल: चुरे पहाडी प्रदेश आ तराई प्रदेश
प्रमुख नदीसभ
[सम्पादन करी]कर्णाली, मोहना, खुटिया, पथरैया, शिवगंगा, गौरी, गंगा, वनरा, गुलरा, गोदावारी, जमरा,आदी
प्रमुख तालसभ
[सम्पादन करी]घोडाघोडी ताल, जोखर ताल, तिलेक, कोईलही, लौकाभौका, वेहडावावा
प्रमुख धार्मिक स्थलसभ
[सम्पादन करी]धनगढी ४ उत्तरवेहडी शिवपुरीधाम, शमैजी (गोला देउ) फूलवस्ती, गोदावरीगंगा, ग्वाशी, बेहडाबाबा, लक्ष्मीनारायण मन्दिर, नैनादेवी मन्दिर, पशुपति मन्दिर, वेङ्कटेश्वर मन्दिर, वनदेवी मन्दिर, गोदावरीस्थित शिव मन्दिर
प्रमुख पर्यटक स्थलसभ
[सम्पादन करी]टीकापुर पार्क, घोडाघोडी ताल, लम्किक चिसापानि स्थित कर्णाली पुल, खैराला दरबार, गोदावरी, खानीडाडा, धनगढी स्थित जोखर ताल, धनगढी पार्क आ राजकाँडा
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "नेपालको राष्ट्रिय जनगणना २०६८ (गाविस तह)" (PDF)। नेपाल सरकार। राष्ट्रिय योजना आयोग। मूल (PDF)सँ 2016-02-02 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच २०१२ नवम्बर १२।
{{cite web}}
: Check date values in:|accessdate=
(help); Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help)